आकृति:MWUG

मैथिली मैथिली विकिमिडियन्स सँ
नेविगेशन पर जाएँ खोज पर जाएँ
link=http://mai.wikipedia.org/wiki/मैथिली भाषा
link=http://mai.wikipedia.org/wiki/मैथिली भाषा

मैथिली विकिमिडियन्स (अङ्ग्रेजी भाषा: Maithili Wikimedians) विकिमिडिया फाउन्डेसनसँ मान्यताप्राप्त एक विकिमिडियन्ससभक प्रयोगकर्ता समूह छी । ई प्रयोगकर्ता समूहसँ आवद्ध रहल विकिमिडियन सदस्यसभ विकिमिडिया फाउन्डेसनक विविध परियोजनासभमे मैथिली भाषा उपर योगदान करैत छथि । ई प्रयोगकर्ता समूहक मुख्य उद्देश्य विकिमिडिया परियोजनासँ आवद्ध मैथिल योगदानकर्ताके प्रोत्साहित केनाए, विभिन्न मैथिल सङ्गठनसँ सम्बन्ध बनेनाए आ नेपाल तथा भारतमे रहल मैथिल भाषीसभकें निशुल्क आ स्वतन्त्र शैक्षिक सामग्रीसभ उपलब्ध करेनाए रहल अछि जहिमे विश्वकोशक विकाश, योगदान आ पहुँच बनेनाए रहल अछि । ई एकटा स्वयात्त प्रयोगकर्ता समूह छी जकर विकिपिडिया आ अन्य बहुपरियोजनापर कोनो किसिमसँ सामग्रीपर सम्पादकीय नियन्त्रण नै रहल अछि ।

मैथिली विकिमिडियन्स प्रयोगकर्ता समूह विकिमिडिया फाउन्डेसनक सम्बद्ध समितिद्वारा सन् २०१५ फरबरी ८ कें स्वीकृत कएल गेल छल ।